-6.01%

Maithili By Sunil Kumar “Bhanu”

Rs.469.00

 

पोथीक सम्बन्ध मे:-

आठम अनुसूचीमे शामिल भेलाक बादो स्कूलसँ विश्वविद्यालय धरि मैथिलीक छात्र किएक बिला रहल अछि ? किएक हुनका लग एकटा नम्हर सनक सिलेबसक सूची तँ अछि मुदा ओहि अनुरूप किताब नहि । ई स्थिति कमोबेश सभटा विश्वविद्यालयमे अछि । जखनकि प्रत्येक महिना हज़ारक-हज़ार संख्यामे साहित्यि‍क पोथी छपि रहल अछि आ बाज़ारमे बिका सेहो रहल अछि ।

यूजीसी नेट सन महत्वपूर्ण परीक्षाक तैयारी लेल सेहो बाज़ारमे पोथीक अभाव अछि । एतेक महत्वपूर्ण परीक्षाक लेल पोथीक खगता विद्यार्थी सभकेँ एहि परीक्षासँ दूर करैत जा रहलाह अछि । जखनकि सिलेबस ततेक छोट अछि जे मात्र किछु दिनक मेहनतमे सफलता प्राप्त कैल जा सकैत अछि । स्थिति ई अछि जे मात्र 200-300 क संख्यामे छात्रलोकनि एहि परीक्षाक फार्म भरैत छथि जाहिमे सँ मात्र किछुए सफलता अर्जित कए पबैत छथि । कारण मात्र एतबे जे पोथी ओहि प्रकारक नहि अछि जे विद्यार्थीकेँ नीक दिशा प्रदान कऽ सकय ।

ई पोथी एनटीए/यूजीसी नेट केर नबका सिलेबस पर आधारित अछि जाहिमे छोट-छोट विषय बिन्दुकेँ ध्यान राखल गेल अछि । पूर्ण विश्वास अछि जे एकर नीक जेना पाठन आ मननसँ छात्र लोकनि निश्चित रूपेण सफलता प्राप्त करताह ।

 

Cover:- HB

SKU: 978-81-954995-8-8 Categories: , Tags: , ,

Description

Writter :- Sunil Kumar “Bhanu”

Page:- 304

Isbn :- 978-81-954995-8-8

Publication :- Esamaad Prakashan

Publication Year :- 2024

लेखकक सम्बन्ध मे:-

सुनील कुमार ‘भानु’ बहुमुखी प्रतिभाक धनी छथि। अपन पहिल प्रयासमे यूजीसी नेट केर परीक्षा उतीर्ण कयनिहार सुनील कुमार ‘भानु’ मैथिली आ हिन्दी साहित्यसँ स्नातकोत्तर छथि आ हिन्दी, अंग्रेजी, उर्दू आ जापानी भाषाक जानकार छथि ।

हिन्दीमे ‘मन्टुनमा’, ‘मिथिला की रणभूमि’, ‘गंधवरिया’, आ मैथिलीमे साझा लघु प्रेम कथा संकलन ‘प्रेमक टाइमलाइन’ हिनक बेस चर्चित आ प्रशंसित कृति रहल अछि। हिनक कैकटा शोधपरक आलेख विभिन्न पत्र-पत्रिकामे समय-समय पर प्रकाशित होएत रहल अछि। ‘इसमाद फाउंडेसन’ आ ‘चेंज फ़ॉर श्योर’ क प्रबन्ध न्यासी श्री भानु मैथिलीमे स्वर्ण पदकसँ सेहो सम्मानित छथि ।

मैथिली भाषामे यूजीसी नेट सन महत्वपूर्ण परीक्षाक पोथी उपलब्ध नहि होएबाक कारण इसमाद फाउंडेशनक प्रबंध निदेशक श्री भानुक ध्यान एहि दिस आकृष्ट भेल आओर अपन नोट्सकेँ संकलित कए एकटा महत्वपूर्ण पोथी तैयार करबाक काज केलनि जे छात्र लोकनिक लेल निश्चित रूपेण उपयोगी सिद्ध होएत।